बुधवार, 3 अक्तूबर 2012

Maithil Chhi

हम मैथिल छी
ई कहअ मे किएक धखाइ  छी ?
बुझलौं , रहैत छी मातृभूमि सँ दूर 
मुदा, मातृभाषा बजए सँ किएक लजाइ छी ? 
की हम केकरो सँ कम छी
जेँ अपना कें हीन बुझै छी ?
गौरवपूर्ण अछि इतिहास हमर
हम  राजा जनक, राजा सलहेस , 
याज्ञवल्क्य ,कपील, गौतम , विद्यापति ,
मंडन, भारतीक संतान छी !
हम बिहारी नै , मैथिल छी
हमर अपन भाषा , सभ्यता , संस्कृति आ पहचान अछि !
हे मैथिल !
उठू , जागू, चिरनिंद्रा सँ निकलू
अपन अधिकार अलग "मिथिला राज्य " हेतु लड़ू !!!
        :गणेश कुमार "बावरा"
        गुवाहाटी