रविवार, 26 जुलाई 2015

votak bela

आइब गेलै आब वोटक बेला
देखू नेता घूमता घरे घरे सखीया...
पएर पकरता माथ झुकौता
बाबू भैया सबटा कहता
बड़का बड़का भाषण देता
आइब गेलै आब वोटक बेला
देखू नेता घूमता घरे घरे सखीया...
वोटक बेला कतेको बनत टोली
नेता सब खेलत खुनक होली
केयो एहि टोली केयो ओहि टोली
जाति बिरादरीक नाम पर
लगाओत नेता सब वोटक बोली
आइब गेलै आब वोटक बेला
देखू नेता घूमता घरे घरे सखीया...
सावधान भ' जाउ वोटर
मंगनीक गहुम चाउर मे नहि फँसू
वोट दिअ ओहि नेताके
जे रोजगारक करा' जोगार
आइब गेलै आब वोटक बेला
देखू नेता घूमता घरे घरे सखीया...