शनिवार, 13 फ़रवरी 2016

माँ भारती

कण-कणमे हमरा बसल
मातृभूमिके प्रेम छै
मातृभूमिके रक्षा खातिर
न्यौछावर हमर प्राण छै
जय माँ भारती
जय माँ भारती !!!!
तीन रंगमे रांगल
तिरंगा हमर शान छै
तिरंगाक आन-बान खातिर
न्यौछावर हमर प्राण छै
जय माँ भारती
जय माँ भारती !!!!
अनेकतामे एकता
माँ भारतीक पहचान छै
माँ भारतीक अखंडताक खातिर
न्यौछावर हमर प्राण छै
जय माँ भारती
जय माँ भारती !!!!
 :गणेश मैथिल: