मंगलवार, 21 फ़रवरी 2012

Kavita--Lakshman Rekha

" लक्ष्मण-रेखा "


चारू दिश हो हल्ला मचल छै

कियाक लंघली सीता लक्ष्मण रेखा ?

की हुनका मर्यादाक ख्याल नै छलनि ?

मुदा ऐ काना-फुसकी मे

लोक एक गप्प बिसैर जाइत अछि ---

ज सीता नै लंघितैथ लक्ष्मण-रेखा

त कोना बालीक वद्ध होइतै

कोना सुग्रीव के राजगद्दी भेटीतै ?

ज सीता नै लंघितैथ लक्ष्मण-रेखा--

त कोना रावणक वद्ध होइतै

कोना विभीषण के राजतिलक होइतै ?

आइ समाज मे खींचल अछि बहुतो लक्ष्मण-रेखा

की थिक केयो दोसर-----सीता ?????

:गणेश कुमार झा "बावरा"

गुवाहाटी