मंगलवार, 3 मार्च 2015

Faguk fuharrrrrrrrrrrr

उपस्थित समस्त भंगीएल फगुएल श्रोता केँ
गणेश झा "बाबरा" "मैथिल" के रंगाएल प्रणाम !!
हमर फकड़ा आहाँके नीक लागत
हम कनेको खराब नहिं पाएब
जँ खराबे लागत त की करब
दुटा मालपुआ बेसी खाएब !!
जे सभ बिनु बिआहल छी हाथ उठाऊ
आहाँ सभ लेल विशेष पैकेज लाएल छी
निके छी बिनु बिआहल छी
नुआ लत्ता लिपीस्टिक अल्ता
जोड़' सँ बाँचल छी
निके छी साजल छी
बिनु नथिएल बड़द छी
बाजार मे बिकाए लेल अड़ल छी !!
जे सभ बिआहल छी ठार भ जाउ
कारण हमर बात लागत मिर्चाइ जेना
भ जाएब सीधा काँच कर्ची जेना
खा क कहू शपत
के नहिं छी अपन बहुअक भगत
जँ झूठ बाजब त कनियाँ काटत
जँ साँच बाजब त श्रोता काटत
मुदा आहाँक व्यथा हम बुझै छी
कारण धोकरा के माइर धोकरे बुझै छै !!!
...........