सोमवार, 12 अगस्त 2013

NETAJI

यौ मिथिला के नेताजी, कने हमर गप सुनु..
खाली अपने धोधि भड़ी, किछु जनतो लेल करु..
भाषा विला गेल साहित्य हेरा गेल,हेरा गेल मैथिल पहिचान
कने एम्हरो दियौ धियान......यौ मिथिलाके नेताजी,,,
कने एम्हरो दियौ धियान
यौ मिथिला...
नञि रोजगार सभ बेरोजगार,
नञि उद्योग नञि कोनो शोध,
त कोना क हेतइ विकाश , करियौ कोनो जुगार..
यौ मिथिला...
पाँच साल मे एक बेर एबै पाएर पकैड़ क वोट ल लेबै,
 फेर जेबै बिसैर गाम घर यौ मिथिला के नेता...
जँ आहाँ माए मिथिलाक कोखि सँ जन्मल,
 त रखियौ माएक लाज यौ मिथिलाक नेता...
यौ मिथिला के नेताजी...