बुधवार, 25 जुलाई 2012

kavita---हम नेता छी


हम नेता छी
जनताक भाग्यविधाता छी |
झूठ आश्वाषण देनाई
घोटाला केनाई
अछि हमर जन्मसिद्ध अधिकार |
वातानुकूलित कमरा मे बैस
गरीब जनताक लेल
पैघ-पैघ योजना बनेनाई
अछि हमर मौलिक कर्तव्य |
योजना बनै---
मुदा गरीबी-बेरोजगारी नै हौक दूर
ताहि हेतु हम सदेव रहैत छी सतर्क |
जनते के मत सँ
हम मठाधीश बनल छी,
कहबे छी जनता के सेवक
मुदा जनते सँ जी हजुरी कराबै छी |
हम नेता छी
जनता के भाग्यविधाता छी.........