बुधवार, 28 अक्तूबर 2015

geet...chhathi maike

उगियो यौ
सुरुजदेव जल्दी जल्दी
हाथ नारीयल लेने
पानि तरमे ठाड़ छथि
घाटे घाटे सब व्रतधारी
उगियो यौ
सुरुजदेव जल्दी जल्दी...
रंग-बिरंगक पकवान सँ
अछि डाला साजल
अर्घ देबअ लेल
छथि आतुर सब व्रतधारी
उगियो यौ
सुरुजदेव जल्दी जल्दी....
हे सुरुजदेव
चारू दिश पसरै खुशहाली
ज्ञानक ज्योति जरै चारू दिश
कल जोड़ि करैथ विनती
सब व्रतधारी
उगियो यौ
सुरुजदेव जल्दी जल्दी...
आहाँक महीमा देव
अछि बड्ड भारी
मनवांछीत फल पाबैथ
सब व्रतधारी
उगियो यौ
सुरुजदेव जल्दी जल्दी....